कहाँ तोहर आसन बासन कहाँ निज धाम,
आहे कहाँ निज धाम,
राम किनकर पाँचो बेटी, किये तोहर नाम,
राम किनकर पाँचो बेटी, किये तोहर नाम,
गंगा हमर आसन बासन गहबर निज धाम,
आहे गहबर निज धाम,
राम गौरी के हम पाँचो बेटी, बिषहरि नाम,
राम गौरी के हम पाँचो बेटी, बिषहरि नाम।
किनका घर बिषहरि खीरा भोजन लेल,
बिषहरि खीरा भोजन लेल,
राम किनका घर बिषहरि दूध लाबा लेल,
राम किनका घर बिषहरि दूध लाबा लेल,
राम किनका घर बिषहरि दूध लाबा लेल।
सेवक घर बिषहरि खीरा भोजन लेल,
बिषहरि खीरा भोजन लेल,
राम सुहबे घर बिषहरि दूध लाबा लेल,
राम सुहबे घर बिषहरि दूध लाबा लेल,
राम सुहबे घर बिषहरि दूध लाबा लेल।
जेहने जुड़ेलौं, सुहबे तेहने जुड़ाऊ,
सुहबे तेहने जुड़ाऊ,
राम जूगे जूगे जीबे सुहबे तोहरो सोहाग,
राम जूगे जूगे जीबे सुहबे तोहरो सोहाग,
गंगा हमर आसन बासन गहबर निज धाम,
आहे गहबर निज धाम,
राम गौरी के हम पाँचो बेटी, बिषहरि नाम,
राम गौरी के हम पाँचो बेटी, बिषहरि नाम।